Wednesday, January 14, 2015

मुजफ्फरपुर -सीतामढ़ी क बीच नव राष्ट्रीय राजमार्ग 527C

मुजफ्फरपुर/सीतामढ़ी : मिथिलाक चारि टा जिला मे आब विकासक रफ्तार तेज भ जाएत। एही चारि जिला सं होइत नव राष्ट्रीय राजमार्ग निकलत। एकर प्रक्रिया सेहो शुरू भ गेल अछि। एहि राजमार्ग बनला सं नेपालक दूरी सेहो कम भ जाएत। एकरा संगे मुजफ्फरपुर सं सीतामढ़ीक पुपरी आ नानपुर, दरभंगाक जाले आ मधुबनीक मधवापुरक दूरी कम भ जाएत।

मुजफ्फरपुर क बोचहां (करमपुर, मझौली जगई) सं शुरू भ इ सड़क दरभंगा, मधुबनी सं होइत नेपालक सीमा सीतामढ़ी क चरौत (चंद्रशैना) मे खत्म होएत। करीब 63 किलोमीटर पैघ एहि सड़क कें 527C नाम देल गेल अछि।

1 comment:

  1. ‪#‎MaithiliTextbook‬
    मैथिलि भाषा आ साहित्यक पाठ्यपुस्तक क सॉफ्ट कॉपी [PDF] क शिक्षा विभाग, बिहार सरकार क वेबसाइट पर अपलोड करबा सं छात्र सब क शिक्षा भेट जायत?
    जी हाँ शिक्षा विभाग एहने केलक अछि. देशक संवैधानिक भाषा मैथिलिक संग इ मज़ाक किया क रहल अछि बिहार सरकार? सर्व शिक्षा अभियान क तहत इ सब पोथी सरकारी विद्यालय मे निःशुल्क भेटबाक चाहि.
    [ http://educationbihar.gov.in/etextbook.aspx?cid=8 ]

    ReplyDelete