Saturday, April 22, 2017

'दी सस्पेक्ट' क' ट्रेलर रिलीज़ भेल

निओ बिहार, राज्यक भाषा मे गीत/वीडियो बनेबा लेल जानल जाएत अछि. 2016क अंते सं एकटा मैथिली शार्ट फिल्म पर काज चलि रहल छल आ आब ओहि फिल्म 'दी सस्पेक्ट' के ट्रेलर आबि गेल अछि. किछु दिन पहिने एकर पोस्टर सेहो आएल छल. दुर्गेश कुमार मुख्य रोल में छथि. सस्पेंस आ थ्रिलर सं भरल फिल्म  5 मई के यूट्यूब पर रिलीज़ होएत.



फ़िल्मक पात्र, अब्दुल रहीम अंसारी जेकरा पर आतंकवादी हमला सं जुड़ल हेबाक अंदेशा छै, की अपना आपके निर्दोष साबित क' सकत?

निर्देशक नितिन चंद्रा कहैत छथि, 'हम अप्पन भाषा भोजपुरी आ मैथिलीमे फिल्म बनायब पसिन करैत छी, किएक त' तथाकथित पढ़ल-लिखल लोक अप्पन भाषा बिसरी गेलथि, लोक अपना घरमे अप्पन भाषामे गप्प नहि करैत छथि. आन भाषा जेना मराठी, बंगाली, पंजाबी या दक्षिण भारतीय अप्पन भाषा नहि छोड़लनि तैं एहि सिनेमा सभक पहचान भेटलै. नितिन द्वारा निर्देशित फिल्म 'मिथिला मखान' कें मैथिलीक पहिल नेशनल अवार्ड भेटल छल.

अखन इ ट्रेलर देखू:


इहो पढ़ी:

0 comments:

Post a Comment