Monday, April 24, 2017

हमर मंजिल फिल्मी दुनिया कखनो नहि रहल, हमर मंजिल शास्त्रीय संगीत अछि : मैथिली ठाकुर

मैथिली ठाकुर कें राइजिंग स्टार नहि बनबाक कोनो दुःख नहि छन. मैथिली शास्त्रीय संगीतक एकटा घराना बना ओकरा बेस मजगूत बनेबाक योजना पर काज करबाक अछि. मैथिली, मिथिलावासी लगाएत देशवासी समर्थक कें एतेक सपोर्ट करबा लेल धन्यवाद कहलनि, जाहि सं वो रनर अप रहली.


बताबी जे, मैथिली ठाकुर एहि प्रतियोगिता मे सभसं फ़ाज़िल वोट भेटलन मुदा फाइनल मे बेनेट दोसांझ सं हारि गेली. मैथिली ठाकुर क' मानब अछि जे संगीत एकटा साधना छैक आ सभ किछु आसानी सं नहि भेटैत छैक. मीडिया सं गप्प करैत मैथिलि कहलनि जे "हमर मंजिल फिल्मी दुनिया कखनो नहि रहल, हमर मंजिल शास्त्रीय संगीत अछि आ हमरा शास्त्रीय संगीत मे आओर काज करबाक अछि आ अप्पन घराना बना ओकरा प्रसिद्धि  दियेबाक अछि."

कनिये समय मे संगीत क' क्षेत्र मे अप्पन मधुर आवाज सं अमिट छाप छोड़नाहिर मैथिली ठाकुर कें संगीत विरासत मे भेटल अछि, मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी (उड़ेन गाम) क' रहनिहाइर मैथिली कें संगीतक प्रारंभिक शिक्षा-दीक्षा अप्पन दादा बच्चा ठाकुर आ पिता रमेश ठाकुर सं भेटल. 

0 comments:

Post a Comment