Friday, April 21, 2017

छह टा प्रमुख मधेशी दल विलय केलक, आंदोलन फेर तेज हेबाक आसार

काठमांडू : नेपाल मे 6 टा प्रमुख मधेसी दल 14 मई के होमय वला स्थानीय निकाय चुनाव सं पहिले राष्ट्रीय जनता पार्टी (राजपा) क' गठन क' आइ विलय क' केलक.


तराई मधेस लोकतांत्रिक पार्टी, सद्भावना पार्टी, राष्ट्रीय मधेस समाजवादी पार्टी, तराई मधेस सद्भावना पार्टी, मधेसी जलाधिकार फोरम-गणतांत्रिक आ नेपाल सद्भावना पार्टी विलय क' राष्ट्रीय जनता पार्टी बनल. एहि छह दल केर संसद मे कुल 24 टा सदस्य छथि. महंत ठाकुर कें नव पार्टीक प्रमुख चुनल जा सकैत छैक. पार्टीक क' चुनावी चिन्ह छतरी रहत. एहि घटनाक्रमक बाद मधेश आंदोलन फेरो तेज होयबाक संभावना बनि रहल छैक.

0 comments:

Post a Comment