साहित्य अकादमी क' एहि बेरुक उत्तर-पूर्व आ उत्तरी लेखक सम्मेलन दरभंगा मे होएत. दू दिनी कार्यक्रम 13-14 मई कें होएत. 13 मई कें 11 बजे चन्द्रनाथ मिश्र अमर उद्घाटन करता आ ओकरा बाद अजित कुमार हिंदी मे, थोकचम चंद्र मणिपुरी मे, स्वयंप्रभा मैथिली मे आ मुश्ताक अहमद उर्दू मे कविता पाठ करता.

एहि दू दिनी कार्यक्रम मे, पांच सत्रक होएत जाहि मे देश भरि सं साहित्यकार लोकनि दरभंगा एता. पहिल दिन, पहिल सत्र खिस्साक नाम रहत त' दोसर सत्र कविताक नाम. दोसर सत्र मे 'आकार', गुवाहाटी द्वारा बिहु नृत्यक प्रस्तुति सेहो देल जाएत. दोसर दिन, पहिल सत्र मे समकालीन साहित्यिक प्रवृति पर विचार-विमर्श होएत, दोसर सत्र मे लेखन, जूनून वा जीविका पर विचार-विमर्श आ तेसर आ अंतिम सत्र कविताक नाम रहत.
कार्यक्रम ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क' वाणिज्य आ व्यापार प्रबंधन विभाग क' सभागर मे संपन्न होएत. एहि कार्यक्रम संगे पोथी प्रदर्शनी सेहो होएत जतय विशेष छूट पर पोथी भेट सकत.
'North East and Northern Writers' Meet' on 13-14 May 2017 at 10.00 am at Conference Hall, Darbhanga (Bihar). pic.twitter.com/sHYtyZ44YD— Sahitya Akademi (@sahityaakademi) May 4, 2017

एहि दू दिनी कार्यक्रम मे, पांच सत्रक होएत जाहि मे देश भरि सं साहित्यकार लोकनि दरभंगा एता. पहिल दिन, पहिल सत्र खिस्साक नाम रहत त' दोसर सत्र कविताक नाम. दोसर सत्र मे 'आकार', गुवाहाटी द्वारा बिहु नृत्यक प्रस्तुति सेहो देल जाएत. दोसर दिन, पहिल सत्र मे समकालीन साहित्यिक प्रवृति पर विचार-विमर्श होएत, दोसर सत्र मे लेखन, जूनून वा जीविका पर विचार-विमर्श आ तेसर आ अंतिम सत्र कविताक नाम रहत.
कार्यक्रम ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क' वाणिज्य आ व्यापार प्रबंधन विभाग क' सभागर मे संपन्न होएत. एहि कार्यक्रम संगे पोथी प्रदर्शनी सेहो होएत जतय विशेष छूट पर पोथी भेट सकत.
0 comments:
Post a Comment