दुल्लीपट्टीमे मनल मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह
जयनगर/मधुबनी : जयनगर लग दुल्लीपट्टी गामक फैक्स भवनक आंगनमे विद्यापति पर्वक आयोजन कएल गेल, जेकर उद्घाटन अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक धनाकर ठाकुर करैत मिथिला राज्यक गठन पर जोर देबाक आग्रह केलनि। कार्यक्रमक अध्यक्षता कमल कांत झा केलनि। मौका पर मैथिली अकादमी पटनाक अध्यक्ष कहलनि जे संस्कृतिक सुरक्षा गामे मे भऽ सकैत अछि। ओतहि विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव बैद्यनाथ चौधरी बैजू मिथिला राज्य पर जोर देलनि। स्वागत भाषण विधायक रामप्रीत पासवान केलनि, ओ मातृभाषा मैथिलीक आधिकाधिक उपयोग पर जोर देलनि। विधायक अरुण शंकर प्रसाद कहला जे मिथिलाक विकास लेल सभकेँ आगू ऐबाक चाही। पूर्व विधायक सीताराम यादव लुप्त होइत संस्कृति पर चिँता प्रकट केलनि। एहि मौका पर बहुतो गोटे अप्पन विचार रखला। दोसर सत्रमे कवि गोष्ठीक आयोजन भेल जाहिमे विभूति आनंद, चन्द्रेश, हरिशचंद्र हरित, अमलेँदु शेखर पाठक, फूलचन्द्र झा प्रवीण, कुमार शैलेन्द्र, उमेश नारायण कण, महाकांत ठाकुर आदि कविता पाठ केलनि। रातिमे रंजना झाक नेतृत्वमे सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन भेल। एहि क्षेत्रमे एहि तरहक पहिल आयोजन छल।
0 comments:
Post a Comment