Monday, March 25, 2013

फगुआ पर भेटल मिथिला केँ महासनेस

समस्तीपुर/दरभंगा/ सीतामढ़ी/मुजफ्फरपुर : मुजफ्फरपुर-सीतामढ़ी रेलखंड पर 26 मार्च सऽ ट्रेन चलत, एकर आधिकारिक सूचना आबि गेल गेल। रुन्नीसैदपुरमे 10 बजे सीतामढ़ीक सांसद अर्जुन राय ट्रेन केँ हरियर झंडी देखौता। समस्तीपुर रेलमंडलक सीनियर डीसीएम संग मीडिया प्रभारी आइएमए हुमांयू बतौलनि। समस्तीपुर सऽ रुन्नीसैदपुर धरिक पैसेँजर ट्रेन 55505/55506 केर परिचालन कएल जा रहल अछि जेकर विस्तार मुजफ्फरपुर धरि कएल गेल अछि। इ ट्रेन समस्तीपुर सऽ भोर 04:55 बजे खुजि दरभंगा, सीतामढ़ी, रुन्नीसैदपुर होइत 11:10 बजे मुजफ्फरपुर पहुंचत। ट्रेन वापसीमे मुजफ्फपुर सऽ 11:45 बजे खुजि सांझक 17:42 बजे समस्तीपुर पहुंचत।

0 comments:

Post a Comment