Sunday, February 2, 2014

दरभंगा के बदले दानापुर, कियैक? : ऋषि मिश्रा

दरभंगा : पूर्व रेल मंत्री स्व. ललित नारायण मिश्राक नैत आ जदयू नेता ऋषि मिश्रा अप्पन दादाक मृत्युक गुत्थी अखन धरि नहि सुलझबा पर आपत्ति व्यक्त करैत एहि मामला मे सरकार सं किछ प्रश्न पूछलनि। संग ललित जयंती केँ राजकीय सम्मान घोषित करबाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ धन्यवाद देलनि आ समस्तीपुर रेलवे स्टेशन परिसर मे हुनक प्रतिमा स्थापित करबाक मांग केलनि। ओ सरकार सं पूछलनि जे 3 जनवरी 1975 केँ समस्तीपुर बम कांड मे ओ शहीद भऽ गेला। ओ सरकार सं जानय चाहैत छथि जे हुनका दानापुर अनबाक बदले दरभंगा कियैक नहि आनल गेल ? जाहि ट्रेन मे घायल रेल मंत्री ललित नारायण मिश्रा छलथि, ओहि ट्रेन केँ पटना ऐबा मे 8 घंटा कोना लागि गेलै ? एहि जांच मे तत्कालीन केंद्र आ राज्य सरकारोंक भूमिका की रहल ? 1974 क दिसंबर मास मे दू टा कांग्रेसी नेता समस्तीपुर कियैक गेल छलथि, जखनकि ओतहि कोनो राजनैतिक कार्यक्रम नहि छल। ललित बाबूक मृत्यु समस्तीपुर मे नहि दानापुर मे भेल छल।

1 comment:

  1. e question 40 saalak baad kiyek yau, rishi babu ?

    ReplyDelete