सुजीत कुमार झा
जनकपुर : जनकपुरक रामानन्द चौकपर दू वर्ष पहिने भेल बम विस्फोट घटनाक मुख्य योजनाकार कहल गेल निलम्बित सभासद एवं सदभावना पार्टीक बरिष्ठ केन्द्रिय उपाध्यक्ष संजय कुमार साहके जिल्ला अदालत धनुषा पुपक्र्षक लेल जलेश्वर कारागार पठएबाक निर्णय कएलक अछि ।
जिल्ला अदालत धनुषाक बेञ्च नम्बर २ के न्यायधिश कैलाश केसीक एकल इजलाशसँ वृहस्पतिदिन निलम्बित सभासद साहके पुपक्र्षक लेल थुनामे पठएबाक निर्णय कएने अछि
अदालतक निर्णय अएलाक लगले धनुषा पुलिस हुनका वृहस्पतिए दिन जलेश्वर कारागार पठौने अछि । हुनका अदालती बन्दोबस्तक ११८ के देहाय २ अनुसार पुर्पक्षक लेल थुनामे राखएके आदेश सुनाओल गेल अछि । शनिदिन वीरगंजक छपकैयासँ पक्राउ कएल गेल निलम्बित सभासद साहके जिल्ला अदालत धनुषामे बयान लेवएसँ थुनछेक बहसधरि भेल छल । वृहस्पतिदिन बहसक तेसर दिन वादी पक्षक दिससँ चन्द्रप्रकाश मैनाली आ हेमबहादुर कार्की बहस कएलन्हि तऽ बचाउ पक्षक मंसुर राइन, रमन श्रेष्ठ, शिवकुमार सिंह, सुबोध मण्डल आ दिलीप मण्डल बहस कएने छलथि । एहिसँ पहिने रामानन्द चौक बम काण्डमे पक्राउ पडल जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चाक प्रमुख राजन मुक्ति कहएबला रंजित झा, तराइ मधेश विद्यार्थी लिब्रेसन फ्रन्टक अध्यक्ष मुकेश चौधरी, सुरेश कुमार कर्ण, रिपेन्द्र झा आ मुकेश कुमार कर्णके सेहो पुपक्र्षक लेल थुनामे राखल गेल अछि । एहि घटनामे निलम्बित सभासद सहित ६ गोटे थुनामे गेल अछि । २०६९ साल बैशाख १८ गते रामानन्द चौकपर मिथिला राज्यक माँग करैत शान्तिपूर्ण धर्ना दऽ रहल बेरमे भेल बम विस्फोटमे मिथिलाञ्चलक चर्चित कलाकार रंजु झा सहित विमल शरण दास, सुरेश उपाध्याय, झगरु मण्डल आ दिपेन्द्र दास शहीद भेल रहथि तऽ ३२ गोटेसँ बेसी व्यक्ति घाइल भेल छलथि । जिल्ला अदालत धनुषामे बहस चलए रहल बेरमे अदालतक आगा सदभावना पार्टीक कार्यकर्तासभ दिनभरि पुलिस प्रशासन विरुद्ध नाराबाजी कएने छल ।

कसैया केँ फाँसी चढ़ाऊ
ReplyDeleteSanjay Das