Friday, August 22, 2014

दरभंगा सं दिल्ली आब 12 घंटा मे पहुंचब

दरभंगा/बरौनी : समस्तीपुर-नई दिल्ली रेलखंड पर यात्रा करनिहार यात्रीक नीक दिन आबय वला अछि। दरभंगा आ बरौनी सं नई दिल्लीक दूरी आब 12 घंटामे पूर होए बला अछि। माने भोर मे दरभंगा वा बरौनी मे ट्रेन मे बैसी तऽ सांझ मे आहां दिल्ली मे रहब।

अखन इ दूरी तय करबा मे लगभग 21 घंटा लगैत अछि।
एकरा लेल आब बेसी दिन रुकय नहि पड़त। जौँ सभ किछु ठीक ठाक रहल तऽ बरखक अंत धरि मिथिलावासी केँ इ सुविधा भेटय लागत। भारतीय रेलवे एहि दिस डेग बढ़ा देलक अछि। जनतबक अनुसार 12553/12554 बरौनी-नई दिल्ली वैशाली सुपर फास्ट एक्सप्रेस, 12565/12566 दरभंगा-नई दिल्ली बिहार संपर्क क्रांति सुपर फास्ट एक्सप्रेस आ 12561/12562 दरभंगा-नई दिल्ली स्वतंत्रता सेनानी एक्सपेस ट्रेनक गति के बढ़ेबाक प्रस्ताव अछि। अखन इ तीनू ट्रेन 60 किलोमीटर प्रति घंटाक औसत रफ्तार सं चलैत अछि आ ट्रेन केँ समस्तीपुर सं दिल्ली पहुंचबा मे अखनो 20 घंटाक समय लगैत अछि। दिसंबर मास सं एहि तीनू ट्रेनक रफ्तार 110 किलोमीटर प्रति घंटा होएत। माने दरभंगा सं नई दिल्लीक लगभग 1170 किलोमीटरक दूरी केँ पूरा करबा मे मात्र 12 घंटाक समय लागत।

6 comments: