Friday, April 3, 2015

सहरसा टीसन पर शुरू भेल मैथिलीमे उद्घोषणा

सहरसा : ‘भारतीय रेल अपनेक स्वागत करैत अछि..यात्रीगण, कृपया ध्यान देल जाय.. गाड़ी नंबर 12567 राज्यरानी एक्सप्रेस जे सहरसा से चलि के मानसी, खगड़िया, बेगूसराय, मोकामा, बख्तियारपुर होयत पटना तक जाएत प्लेटफार्म नंबर दू पर ठाड़ अछि .. जिनका वहि दिशा में यात्र करबाक अछि . ओ यात्री अपन स्थान ग्रहण क लिअउ..’

बीतल काल्हि सहरसा जंक्शन पर पहिल बेर मैथिलीमे उद्घोषणा शुरू भेल। राज्यरानी एक्सप्रेसक प्रस्थानक समय सहरसा जंक्शन पर मैथिलीमे भेल उद्घोषणा सं यात्री आओर रेलकर्मी जतेक आश्चर्यचकित छलथि, ओतबहि खुश।

प्रभात खबर, दैनिक समाचार-पत्र दिस सं शुरू भेल मुहिम पर रेलवे द्वारा सहरसा जंकशन पर मैथिलीमे उद्घोषणा डीआरएम सं भेटल आश्वासनक मात्र 12 घंटा बाद शुरू क देल गेल। बताबी जे भारतीय रेलवे द्वारा जारी निर्देश मे संपूर्ण मिथिला क्षेत्रमे मैथिली भाषा कें प्राथमिकता देबाक गप्प कहल गेल अछि।
सहरसा सं पहिले खगड़िया, दरभंगा, मधुबनी आदि ठाम मैथिलीमे उद्घोषणा जारी अछि।

1 comment: