जयनगर/सहरसा : 15283/15284 जानकी एक्सप्रेसक परिचालन आब प्रतिदिन होएत. पैघ समय सं लगातार भ' रहल मांगक बाद रेलवे मंगलदिन एकर घोषणा क' देलक. 25 दिसंबर सं जयनगर,दरभंगा,समस्तीपुर,सहरसा लगाएत बहुतो स्टेशनक यात्री लाभंवित हेता.
एहि ट्रेनक परिचालन पाहिले सप्ताहमे मात्र तीन दिन छल. देर रातिमे एकर परिचालन हेबा सं ट्रेन खाली जाइत छल, एहि कारणे आब एकर परिचालन समय मे सेहो बदलाव क' देल गेल अछि. 15283 सहरसा सं प्रतिदिन भोरे 5.30 बजे खुजत आ दुपहरियाक 12.35 बजे जयनगर पहुंचत. 15284 जयनगर सं भोरे 4.40 बजे खुजत आ 11.10 बजे सहरसा पहुंचत.
Neek lagal..
ReplyDelete