Wednesday, March 20, 2013

मिथिला केँ बाढ़िसँ बचेबा लेल भेटल 2.75 करोड़ रुपया

सुपौल/सहरसा/­किशनगंज : मिथिलाक जिलामे एहि बेर बाढ़िसँ लड़बा लेल 2.75 करोड़ रुपया खर्च कएल जाएत जाहिसँ समय रहैत बाढ़ि-कटाव केँ रोकि कऽ लोककेँ परेशानीसँ बचाओल जा सकय।
जल संसाधन विभागक अभियंता प्रमुख ई. राजेश्वर दयाल सभ जिलक डीएम, मुख्य अभियंता संगे आन विभागीय पदाधिकारी केँ चिट्ठी लखि बाढ़ि निरोधक उपायक काजमे गति अनबाक निर्देश देलनि। बाढ़ि नियंत्रण लेल देल गेल रुपयासँ पूर्णिया, कटिहारक सालमारी, काढ़ागोला, किशनगंज, निर्मली, सहरसाक चंद्रायण, कोपरिया, सुपौलक वीरपुरमे बाढ़ि संभावित इलाकामे बाढ़ि निरोधक काज केँ समय रहैत पूरा करबाक निर्देश देल गेल अछि।

बताबी जे मिथिलाक अधिकांश इलाकामे लाखक आबादी सभ बरख बाढ़िक चपेटमे आबैत अछि। परीणामस्वरुप, बाढ़ि ग्रस्त इलाकाक लोक पलायन करबा लेल मजबूर भऽ जाइत छथि। किशनगंजक पुरंदहा, फूलबाड़ी,पोरलाबाड़ी, लालबाड़ी, कोचाधामनक असुरा चैनपुर, बोचागाड़ी गाम, दिघलबैंक प्रखंडक पदमपुर, पोठिया प्रखंडक तैयबपुरमे पहिलेसँ कटाव निरोधी काज चलि रहल अछि।

कोन जिलाकेँ कतेक रुपया भेटल-
1. पूर्णिया - 421.12 लाख रुपया
2. कटिहार- 476.91 लाख रुपया
3. सालमारी (कटिहार) - 259.46 लाख रुपया
4. कटिहार - 398.29 लाख रुपया
5. किशनगंज - 428.42 लाख रुपया
6. निर्मली (सुपौल) - 418.3 लाख रुपया
7. चंद्रायण (सहरसा) -95.056 लाख रुपया
8. वीरपुर (सुपौल) - 186.24 लाखरुपया
9. कोपरिया (सहरसा) - 61.47 लाख रुपया
कुल - 2745.766 लाख रुपया

1 comment: