मिथिला राजक लेल चारि दिनक अनशन शुरु
नई दिल्ली : फराक मिथिला राज लेल नई दिल्लीक जंतर-मंतर पर कवि एकांतक नेतृत्वमे चारि दिनक अनशनक शुरुआत आइ भोर लगभगि साढ़े दस बजे भेल। इ अनशन 22 मार्च सऽ शुरु भेल आ 25 मार्च धरि चलत, जेकरा मादे पृथक मिथिला राजक मांग बुलंद कएल जाएत। पहिल दिनक अनशनमे भारतक कोन-कोनसँ सैकड़ो मैथिल उपस्थित भऽ अनशन केँ समर्थन देलनि। अनशकारी लोकनि मिथिला राजक लेल भीख नहि अधिकार चाही, पृथक मिथिला राज चाही आदिक नारा लगा रहल छलथि। मौका पर राहुल, राजेश, विजय, कौशल, विकास, अमरेन्द्र, प्रवीण नारायण चौधरी, मदन कुमार ठाकुर, अनूप चौधरी आदि उपस्थित छलथि। राजीव झा कवि एकांत एहि अनशन केँ यज्ञक संज्ञा दैत मिथिलावासीसँ अपील केलन्हि के बेसी से बेसी मैथिल उपस्थित भऽ एहि यज्ञ केँ सफल बनाबी।
मिथिला प्रेममें अवधूत बनल जन्तर मन्तर पर अनशन पर बैसल कवि एकान्त जीकें शुभकामना दैत ईश्वर सं प्रार्थना कय रहल छी कि हुनका आत्मबल प्रदान करथुन, हुनक ध्येयक पूर्ति होयन्ह, निम्न किछु शब्दक संग-------
ReplyDeleteएक लीबर के दुब्बर पातर नहिं छैथ ओ कनिको आक्रान्त
मिथिला राज्यक अलख जगौने बाट तकैछ कवि एकान्त ।
जंतर मंतर पर भूक्खे बैसल ध्येय सहित मिथिला सपूत
मिथिला राज्यक आस लगौने मैथिल केर नबका अग्रदूत।
--------------------------------------............-------- भास्कर झा
वन्दे...मिथिला
ReplyDeleteseva -----
ReplyDeletejai maithil -- jai mithila
bhai - bohin - apnek najar me je maithili delhi N C R me chhathi sab ke kahiyo 1 ghanta lel jarur jantar manat par abaithi ,
bhikh nai adhikar chahi hamra mithila rajy chahi ke , nara ke buland kari jai maithil