Saturday, January 19, 2013

मिझा गेल महाप्रकाश

सहरसा/पटना/दरभंगा/नई दिल्ली : मैथिलीक समकालीन कविताक सशक्त हस्ताक्षर के रुपमे लेखनरत कवि महाप्रकाश आइ दुपहरिया बाद नई दिल्लीक एम्समे अप्पन अंतिम सास लेला। इ मैथिली साहित्य जगत लेल अपूरणीय क्षति अछि। महाप्रकाश दिल्लीक सफदरगंज अस्पताल मे सेहो बहुत दिन सऽ भरती छला, जतय हुनका पटना सऽ नीक इलाजक लेल रेफर कएल गेल छल। ओ गुर्दा रोग (किडनी) सऽ ग्रसित छला। पटनामे हुनक स्थितिमे कोनो सुधार नहिँ होइत देखि ओतुक्का डाक्टर नीक इलाजक लेल दिल्लीक पठौलथि मुदा भगवान केँ किछु औरे मंजूरे छल। मिथिला प्राइम दिस सऽ हुनका श्रद्धांजलि।

0 comments:

Post a Comment